24.1 C
Ranchi

लेटेस्ट वीडियो

भावना झा की मैथिली कविताएं ‘निमरसेखा’ और ‘मनोरोगी’

भावना झा की मैथिली कविताएं ‘निमरसेखा’ और ‘मनोरोगी’ इस बार प्रभात खबर के दीपावली विशेषांक में छपीं हैं. इन दोनों कविताओं को आप यहां भी पढ़ सकते हैं...

भावना झा की मैथिली कविताएं ‘निमरसेखा’ और ‘मनोरोगी’ इस बार प्रभात खबर के दीपावली विशेषांक में छपीं हैं. इन दोनों कविताओं को आप यहां भी पढ़ सकते हैं…

निमरसेखा

होयबाक तऽ छलय जे अँकबारिकेँ

रखबाक कोनो आवश्यकता नै होइतय

बिसराह भऽ जेबामे गुण जेँ

पछाति निफिकिर भऽ निमाहब सहज बुझना जाए

जहिना बिला जाइत छै स्मृतिलोपक दोख लगैत कहल बात,

देल भरोसक हाथ पीठ परसँ ससरि जाइत छै

अनचोक्के मेटा देल जाइत छै एक्के दीठिमे

सोझाँक दृश्य परसँ प्रेमक सभटा रंग-रोगन

अकासी लागल देखैत रहलौं अकान भऽ

गबदी लदने खोद- बेधक डरेँ

एके क्षणमे बदलैत प्रोफाइलक छवि जेकाँ

जे कनेको अप्रत्याशित नहि लगय

कहैत छै जे सूचना आ क्रांतिक जुग छीयै

बस अँगुरि टीपलासँ भेटि जाइत छै सहस्त्रों विकल्प !

तखनि किएक ओगोरने करेजसंँ डीलिट बटन तकितो

चकबिदोर लागि जाइत छै नहि जाइन

अबोध हृदयक दुर्बलता देखार नै भऽ जाय

दहसति हुअय लगैत देरी तकय छी कोन

पासवर्ड लगाबी आकि लॉक

आ कि मेटा दियै सभटा

इ पटलसँ मुदा फेर कोनो शब्द जेना बान्हि लैत अछि

आ आँखि ताकि लैत छै निधोख भऽ एक बेर आओर

जे किछु शेष रहि गेल सभटा स्मृतिकेँ नीलाम हुअयसँ पहिने.

Also Read: रिंकी झा ऋषिका की मैथिली कविताएं – समानांतर और ओ कहय चाहैत अछि बड्ड किछु
मनोरोगी

जतय अहाँ देखबय चाहैत छी

हमर आँखिकेँ नयनाभिराम कहैत

ओहिठामक दृश्य देखि हम हठात कसिकेँ बन्न कए लैत छी अप्पन आंखि

आ हमरा नजरिक सोझाँ आबि जायत अछि

खून- खुनामय भेल देह

ओकर चित्कारक स्वर अधिरतियामे

आ विकल भऽ जाइत अछि

आत्मा आ घोरन जेकाँ चलय लगैत अछि सभटा अंग पर

की इएह भेटैत छै स्त्री होयबाक उपहार

कहल गेल वर्णांधता के शिकार भऽ रहल छी

वा कोनो आन कारणें इ विरक्तिकेँ भरिसक

नहि तऽ एतेक मनोरम स्थलमे

बर्फसँ झाँपल उज्जर पहाड़सँ धधरा पजरैत

केकरा देखाएत छै

एतेक स्वच्छ परिवेशमे घुटनकेँ कोनो प्रश्न

कहाँ उठैत छै !

वितण्डा करबाक स्वभाव भऽ गेल अछि

कोनो मनोचिकित्स कें पूछय पड़त

नहि त यात्रासँ भय होयबाक कोन कारण

हम सोचैत रहलहुं कि ठीके हम मनोरोगी छी?

संपर्क : 7/703, ईस्ट एंड अपार्टमेंट, मयूर विहार फेस-1 (एक्सटेंशन), न्यू अशोक नगर मेट्रो स्टेशन के पास, पिन-110096, नयी दिल्ली

ई-मेल : [email protected], मो. 9654057927

Mithilesh Jha
Mithilesh Jha
प्रभात खबर में दो दशक से अधिक का करियर. कलकत्ता विश्वविद्यालय से कॉमर्स ग्रेजुएट. झारखंड और बंगाल में प्रिंट और डिजिटल में काम करने का अनुभव. राजनीतिक, सामाजिक, राष्ट्रीय-अंतरराष्ट्रीय विषयों के अलावा क्लाइमेट चेंज, नवीकरणीय ऊर्जा (RE) और ग्रामीण पत्रकारिता में विशेष रुचि. प्रभात खबर के सेंट्रल डेस्क और रूरल डेस्क के बाद प्रभात खबर डिजिटल में नेशनल, इंटरनेशनल डेस्क पर काम. वर्तमान में झारखंड हेड के पद पर कार्यरत.

Prabhat Khabar App :

देश, एजुकेशन, मनोरंजन, बिजनेस अपडेट, धर्म, क्रिकेट, राशिफल की ताजा खबरें पढ़ें यहां. रोजाना की ब्रेकिंग हिंदी न्यूज और लाइव न्यूज कवरेज के लिए डाउनलोड करिए

संबंधित ख़बरें

Trending News

जरूर पढ़ें

वायरल खबरें

ऐप पर पढें
होम आप का शहर
News Snap News Reel